Friday, January 29, 2016

शंका

दुनिया मे अछि बड़ रास बीमारी
माथ दुखा रहल अछि केकरो ते कियो अछि पेट गुड़-गुड़ सं तंग
आंखि सं नोर बहि रहल अछि ते कान मे दर्द अछि केकरो
सूगर बेसि भेल ते जिनगी भर मीठ नहि खा सकैत छी
सूगर कम भेल ते तुरंते अहां के गूलकोज पीबए परत
केकरो हाय ब्लड प्रेशर अछि ते केकरो लो
कियो एड्स सं ग्रसित अछि ते कियो कैंसर मे जकड़ल

जतेक रास बीमारी अछि ततेक रास दवाईयो
कियो नीम-हकीम लग जाइये ते कियो कराबैये
एलोपैथी, होमियोपैथी आ आयुवेदिक इलाज
दुनिया भरि के डॉक्टर आ वैज्ञानिक
नब-नब रोग आ ओकर छुटाबैक दवा बनाबै मे लागल अछि

मुदा, हमरा जानल एकटा एहन बीमारी अछि जकर इलाज नहि
आजुक बाजारवाद, तथाकथित प्रगतिशीलवाद जुग मे
बाप करैयै बेटा पर शंका
बेटा करैये बाप पर शंका
माय करैये पूतोहू पर शंका
पूतोहू करैये माय पर शंका
ननद करैये भौजाई पर शंका
भौजाई करैये ननद पर शंका
जतय देखि ओतय शंके शंका

घर मे शंका, ऑफिस मे शंका
बॉस के शंका, कर्मचारी के शंका
किनय मे शंका, बेचय मे शंका
रौद मे शंका, मेघ मे शंका
पैइन मे शंका, दूध मे शंका
प्रेम मे शंका, घृणा मे शंका
दोस्ती मे शंका, दुश्मनी मे शंका    
सांस मे शंका, पलक झपकय मे शंका
खाय मे शंका, पीयब मे शंका
बुलय मे शंका, सुतय मे शंका
नोचय मे शंका, खुजलाबै मे शंका
शंके शंका, सनातन शंका
शंका ब्रह्मा, शंका विष्णु, शंका देवो महेश्वर
शंका साक्षात परम ब्राह्म, तस्मै श्री शंकायै नम:।

No comments: